समस्तीपुर मे स्टेनलेस स्टील वैगन क निर्माण शुरू

goodsजंगप्रतिरोधी वैगन क निर्माण करैयवाला देश क दोसर कारखाना
समस्तीपुर , 16 सितंबर (एजेंसियां)। समस्तीपुर जिला स्थित रेलवे यांत्रिक कारखाना मे बाक्सन एच एल स्टेनलेस स्टील वैगन क निर्माण कार्य शुरू भ गेल। इ देश क दोसर एहन कारखाना छी जाहि ठाम जंगप्रतिरोधी वैगन क निर्माण भ रहल अछि। एहि ठाम जंगप्रतिरोधी वैगन क निर्माण अत्याधुनिक तकनीक स कैल जा रहल अछि। मुख्य कारखाना प्रबंधक आरआर प्रसाद कहलथि जे कारखाना द्वारा निर्मित बाक्सन एचएल स्टील वैगन राष्ट्र कए समर्पित कैल गेल अछि। ओ कहलथि जे एहि कारखाना मे एहिन् वर्ष 300 एचएल स्टेनलेस स्टील वैगन क निर्माण क लक्ष्य निर्धारित कैल गेल अछि आओर सबटा बाक्सन जंग प्रतिरोधी हेबाक संग-संग अत्याधुनिक तकनीक स सुसज्जित होयत। ओ कहला जे नवनिर्मित वैगन क क्षमता 71 टन माल लोड करबाक अछि आ प्रति वैगन क निर्माण पर करीब 30 लाख टका खर्च आयल अछि । प्रसाद कहलथि जे एहि कारखाना क स्थापना वर्ष 1881 मे भेल छल। कारखाना सेना क लेल टैंक ढ़ोए वाला विशेष मालगाड़ी डिब्बा क निर्माण रिकार्ड समय मे करि कए नव कीर्तिमान स्थापित केने छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments