समस्तीपुर मे ट्रेन हादसा, एक मौत

0
3
esamaad maithili newspaper

समस्तीपुर । सोनपुर मंडलक समस्तीपुर-बरौनी रेल खंड पर पसराहा स्टेशनक लग बुधदिन बीच राति मे अम्रपाली एक्सप्रेसक इंजन सहित चारिटा डिब्बा पटरी स उतरि गेल। एहि हादसा मे एक व्यक्तिक मौत भ गेल, जखन कि 22 गोटे घायल छथि। घायल मे किछु लोकक स्थिति गंभीर बताउल जा रहल अछि। घायल यात्री मे एकटा महिला सेहो छथि। ट्रेन समस्तीपुर स कटिहार जा रहल छल। हादसा क बाद मौका पर अधिकारी पहुंच चुकल छथि। राहत काज जारी अछि। किछु ट्रेन कए रद्द करि देल गेल अछि, जखन कि करीब 15टा ट्रेनक मार्ग बदलि देल गेल अछि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page