समय पर होएत विधानसभा चुनाव

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार ने कहला जे बिहार मे विधानसभा चुनाव अपन तय समय पर होएत। समय स पहिने चुनाव क फिलहाल कोई संभावना नहि अछि। जनता पांच वर्ष क लेल हुनका मैंडेट देलक अछि। ओना इ सही अछि जे हुनकर सरकार क साढ़े चार वर्ष पूरा होबए पर जनता क आगू ओहि काज क ब्योरा पुस्तक क शक्ल मे उपलब्ध करा देब, जे ओ साढ़े चार वर्ष मे केलाह। जनता दरबार क बाद मुख्यमंत्री इ गप कहला। मधु कोड़ा मामल परि मुख्यमंत्री कहला जे कोई अपन जिम्मेदारी स नहि बचि सकत। एहि लोग कए जनता चुनाव मे सबक सिखा देत। चाहे उ कांग्रेस हुए या फेर राजद या जेएमएम स। जोड़-तोड़ क सरकार बनत, त एहि टा होएत। जे लोग एहि तरह क जोड़-तोड़ मे शामिल भ रहल अछि हुनकर जांच होबाक चाहि। यूपीए क सब टा घटक दल कोड़ा कए मुख्यमंत्री बनाब मे छएल। अपन काज क चर्चा करि सीएम कहला जे केंद्र क असहयोग क बावजूद हम अपन काज कर रहल छि। एनएच क लेल त पैसा ही नहि भेटल। 24 क हम रिपोर्ट कार्ड जारी करब।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments