सब जिला स पटना लेल चलत एसी बस

पटना। सब किछु ठीक रहल त एहि दुर्गा पूजा तक सब जिला स पटना लेल एसी बस सेवा शुरू भ जाएत। सरकार एहि योजना कए जमीन पर उतारबा लेल तैयार भ चुकल अछि। इ गप शुक्रदिन राज्य परिवहन मंत्री वृषिण पटेल कहला। ओ एसके मेमोरियल हॉल स एसी सिटी बस सेवा कए शुरुआत करैत कहला जे परिवहन क क्षेत्र मे बिहार आब ककरो स पाछु नहि रहत। ज्ञात हुए जे पटना क सड़क पर आइ स एसी सिटी बस सेवा शुरू हेबाक बाट लोक भोर स ताकि रहल छल। एहि मौका पर पटेल कहला जे दू मासक भीतर बिहार क सब जिला स पटना क लेल एसी बस सर्विस शुरू भ जाएत। ओ कहला जे एकर अलावा पटना मे अत्याधुनिक बस स्टॉप बनेबाक काज सेहो शुरू भ रहल अछि। शुक्रदिन स शुरू भेल एहि 36 सीटर एसी बस 70 नॉन एसी बस क बेडा मे शामिल कैल गेल अछि। एहि सेवा क शुरू भेला स गर्मी मे लोक कए काफी राहत भेटल। इ बस शहर क तीनटा रूट पर भोर आठ स रातिक आठ बजे तक चलत। एहि रूट मे गांधी मैदान स दानापुर, पटना जंक्शन स जीपीओ, आर ब्लॉक, इनकम टैक्स गोलचक्कर शामिल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments