सब जिला क सांस्कृतिक धरोहर पर बनत फिल्म

पटना । बिहार धार्मिक-पौराणिक-सांस्कृतिक विशिष्टता आ विविधता क स्थल अछि। सब जिला क अपन खास सांस्कृतिक-पौराणिक पहचान अछि। एहि पहचान सब स आम जनता कए अवगत करेबा लेल राज्य सरकार गंभीर पहल शुरू केलक अछि। सूचना आ जनसंपर्क विभाग एहि सन्दर्भ मे सांस्कृतिक/पौराणिक महत्त्व क स्थल पर आधारित डॉक्यूमेंट्री फिल्म बनेबाक योजना तैयार केलक अछि ताकि आम जन कए बिहार क वैविध्य आ वैशिष्ट्य क जानकारी भेट सकए। सूचना आ जनसंपर्क विभाग क राज्यस्तरीय मासिक बैसार क दौरान सूचना सचिव ब्रजेश मेहरोत्रा एकरा लेल इलेक्ट्रोनिक इंजीनियर कए निदेशित केलथि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments