सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

डीटीडीसी क वैबसाईट पर ट्रैफि‍क बढ़ला स साईट भेल क्रेस, एक दिन मे आएल 5 लाख स बेसी लोक

दरभंगा समेत पूर्णिया आ भागलपुर स शुरु होएत सेवा

डीटीडीएस केलक बुकिंग शुरु, दरभंगा सिटी क बेव पर सेहो होएत बुकिंग

डोर टू डोर पैकेज क तहत दरभंगा-दिल्ली क किराया 10 हजार

दरभंगा एयरपोर्ट स 10टा जिला लेल उपलब्ध होएत कैब

 प्रितिलता मल्लिक

5pur17

पटना । सपना टूटए लागल छल। लोक सब हंसए लागल छल। सरकार मजदूर बुझए लागल छल आ राजाक बनाउल एयरपोर्ट पर गाय चरै लागल छल। सरकारक उपेक्षा, जनप्रतिनिधिक उदासीनता आ उजडल बाजार स बिमुख भ चुकल कारोबारी क मनोभाव क बीच किछु आशावादी युवा क जिद एखनो परिणाम देत तेकर उम्मीद कम छल। साहित्य मे पाथर पर दूबि रोपब शायद एकरे कहल जाइत अछि। प्रयास, प्रयास आ सतत प्रयास क बाद होइत अछि भगिरथि प्रयास, जेकर बल पर आखिरकार एकटा निजी कंपनी दरभंगा स अनियमित विमान सेवा शुरु करबा लेल तैयार भ गेल। आठ जून कए इ सेवा शुरु भ जाएत । सरकार नहि क सकल, जनप्रतिनिधि चुप रहलाह, पैघ एयरलाइंस बाजारक सर्वे करैत रहि गेल, तखन अगर इ प्रयास सफल भेल त एकर पाछु दरभंगा क जनता अछि । दरभंगा स शुरु भेल विमान सेवा इ साबित करबा लेल एकटा राष्ट्रव्यापी उदाहरण अछि जे कोनो शहरक जनता अगर चाहि लैत

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments