सदन मे उठल मिथिलाक गप

प्रीतिलता मल्लिक
पटना।
नीतीश सरकार पर उत्‍तर बिहार खास क मिथिला कए उपेक्षा करबाक आरोप लगैत रहल अछि। एहि संदर्भ मे आंगुर उत्‍तर बिहारक नेता पर सेहो उठल जे ओ अपन क्षेत्रक विकास लेल सदन मे चुप रहैत छथि। जखन स्‍थानीय नेता कए कोनो गर्ज नहि त आन केकरा मतलब आ किया मतलब होएत। बिहार विधानसभाक शीतकालीन सत्र मे मिथिलाक नेताक क्षेत्रक प्रति चिंता देखबा लेल भेटल। एखन इ संख्‍या कम अछि मुदा रुख सकारात्‍ममक अछि आ उम्‍मीद कैल जा सकैत अछि जे अपन क्षेत्रक विकास लेल आवाज उठेनिहार नेताक संख्‍या आर बढत। विकासक मसला पर चुप्‍पी सधबाक आरोप क्षेल रहल उत्‍तर बिहारक नेता मे स दू गोटे सदन मे विकास स संबंधित दूटा महत्‍वपूर्ण मसला उठेलथि अछि। सबस पहिने दरभंगा स्‍नातक क्षेत्र स विधान पार्षद विनोद कुमार चौधरी दरभंगाक कामेश्‍वर नगर (विश्‍वविद्यालय परिसर) क रख रखावक संबंध मे सदन मे सरकार स सवाल केलथि। श्री चौधरी सदन मे कहला जे दरभंगा स्थिति कामेश्‍वर नगर मे कईटा महल अछि जेकर रख रखाब सही तरीका स नहि भ रहल अछि। ओ कहला जे एहि लेल तत्‍काल राशि नहि देल गेल त एहि एतिहासिक धरोहर कए नहि बचाउल जा सकैत अछि। श्री चौधरी कहला जे आन विश्‍वविद्यालय कए सरकार आधारभूत संरचना लेल राशि द रहल अछि मुदा मिथिला विश्‍वविद्यालय कए एहि मद मे राशि उपलब्‍ध नहि कराउल जा रहल अछि। श्री चौधरी सरकार पर दरभंगा संग उपेक्षाक सीधा आरोप त नहि लगेलाह, मुदा इ जरूर कहला जे इ गंभीर मामला अछि। ज्ञात हुए जे कामेश्‍वर नगर मे नरगौना महल समेत कईटा आर महत्‍वपूर्ण इमारत अछि जे दरभंगा राज सरकार कए देने अछि। इ परिसर दरभंगाक संग संग पूरा बिहार लेल एकटा धरोहर जेकां अछि। रख रखाब क बिना एकर सौंदर्य खत्‍म भ रहल अछि आ कईटा चीज त खत्‍म भ चुकल अछि। श्री चौधरीक सवाल उत्‍तर मे सरकार आश्‍वासन टा देलक अछि। उम्‍मीद कैल जाए जे किछु कार्रवाई सेहो होएत। एहिना विधान पार्षद संजय झा मिथिला चित्रकलाक प्रति सरकारक उदासीनताक सवाल सदन मे उठेलाह अछि। श्री झा सदन मे सरकार स पूछलाह जे मि‍थिला चित्रकला लेल सरकार की करि रहल अछि आ बिहार मे एकर संग्रहालय निर्माण किया नहि भ रहल अछि। श्री झाक सवाल क उत्‍तर देबा लेल मंत्री सुखदा पाण्‍डेय लग तत्‍काल कोनो ठोस उत्‍तर नहि छल। ओना ओ इ मानबा लेल तैयार भ गेलीह जे मिथिला चित्रकला बिहारक धरोहर अछि आ सरकार मधुबनी मे मिथिला चित्रकला स संबंधित संग्रहालय बनेबा लेल तैयार अछि। मुदा ओ इ साफ नहि केलथि जे सरकार लग एहन कोनो योजना अछि बा नहि आ अगर अछि त इ कहिया धरि जमीन पर उतरत। इ सच अछि जे मिथिलाक एहि दूनू नेताक सवाल पर सरकार दिस स ठोस उत्‍तर नहि भेटल, मुदा तखनो खुश हेबाक गप इ अछि जे सदन मे एहन सवाल उठल जे कोनो व्‍यक्ति, जाति या वर्ग स संबंधित नहि छल, इ सवाल पूर्ण रूप स मिथिला स जुडल छल। उम्‍मीद अछि नेताक संख्‍या बढत त सरकार सेहो गंभीरता स उत्‍तर देत आ समय सीमा निर्धारित करि योजना कए जमीन पर उतारत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

3 टिप्पणी

  1. आंगुर उत्‍तर बिहारक नेता पर सेहो उठल जे ओ अपन क्षेत्रक विकास लेल सदन मे चुप रहैत छथि – सही बात आ आङ्गुर उठबाके चाही ।

  2. मि‍थिला चित्रकला लेल सरकार की करि रहल अछि आ बिहार मे एकर संग्रहालय निर्माण किया नहि भ रहल अछि – ईहो नीक गप्प – जापान मे बनल पर मिथिला मे किएक नहि ।

    नऽव संग्रहालय तऽ बनबाके चाही संग संग दड़िभंगा केर दुनु संग्रहालयक सुविधा आ स्तर सुधरबाक चाही ।

  3. ज्ञात हुए जे कामेश्‍वर नगर मे नरगौना महल समेत कईटा आर महत्‍वपूर्ण इमारत अछि जे दरभंगा राज सरकार कए देने अछि। इ परिसर दरभंगाक संग संग पूरा बिहार लेल एकटा धरोहर जेकां अछि। रख रखाब क बिना एकर सौंदर्य खत्‍म भ रहल अछि आ कईटा चीज त खत्‍म भ चुकल अछि।……………………………………………………………………………………….. एहि तरहक सभ संरचना केँ विश्व धरोहरि घोषित कय पर्यटक स्थल मे बदलि देबाक चाही आ ओहि मे चलि रहल महाविद्यालय, विश्वविद्यालय आ सरकारी कार्यालय सभ केँ सरकार द्वारा यथाशिघ्र अन्यत्र स्थानांतरित करबाक चाही ।

Comments are closed.