सत्येंद्र दुबे मर्डर केस मे 3 गोटे दोषी


नई दिल्ली। बिहार मे स्वर्णिम चतुर्भुज परियोजना मे भ्रष्टाचार क खुलासा करनिहार इंजिनियर सत्येंद्र दुबे क हत्या क मामला मे सोमदिन कोर्ट 3 आरोपी कए दोषी ठहरा देलक। सीबीआई प्रवक्ता कहला जे पटना मे स्पेशल सीबीआई कोर्ट मंटू कुमार, उदय कुमार आ पिंकू रविदास कए दुबे हत्याकांड मे दोषी ठहरा देलक अछि। दुबे भारतीय राष्ट्रीय राजमार्ग प्राधिकरण क स्वर्णिम चतुर्भुज परियोजना मे बतौर इंजिनियर काज करैत छलाह। दोषी सब कए सजा 27 मार्च कए सुनाउल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments