सडक मामला मे बिहार सबस आगू

नई दिल्ली। नक्सलग्रस्‍त इलाका मे सडक निर्माणक गति आन नक्‍सग्रस्‍त राज्‍यक मुकाबले बिहार मे सबस बेसी अछि। केंद्र सरकार दिस स जारी एकटा सर्वे रिपोर्ट मे कहल गेल अछि जे बिहार क नक्‍सलग्रस्‍त इलाका मे सडक आन राज्‍य क मुकाबले काफी तेजी सबनल अछि। ज्ञात हुए जे नक्सलग्रस्‍त आठटा राज्‍य कए विकास क मुख्य धारा मे अनबा लेल एहि राज्‍य क एक लेन राजमार्ग कए दू लेन मे करबाक कार्यक्रम केंद्र क मदद स शुरू कैल गेल अछि। एहिमे राष्ट्रीय आ राज्य राजमार्ग दूनू शामिल अछि। एहि काज मे प्रगति क हिसाब स बिहार आओर आंध्र प्रदेश सबस आगू अछि, जखनकि झारखंड आ उत्तर प्रदेश सबस पाछु।
योजना क पहिल चरण मे नक्सलग्रस्‍त 82टा जिला मे स मात्र 34टा जिला कए लेल गेल अछि। जाहि ठाम 5477 किमी राजमार्ग चौडा करबाक अछि। एहि मे 1126 किमी राष्ट्रीय राजमार्ग आ 4351 किमी राज्य राजमार्ग शामिल अछि। प्रोजेक्ट पर 7300 करोड़ टका क लागत एबाक अनुमान अछि।
सबस बेसी 2092 किमी राजमार्ग क चौड़ीकरण छत्तीसगढ़ मे हेबाक अछि, एहि मे स 452 किमी क चौड़ीकरण भ गेल अछि। जखनकि 1500 किमी क ठेका जारी क देल गेल अछि। दोसर स्‍थान झारखंड क अछि। एहि ठाम 753 किमी राजमार्ग मे एखनधरि केवल 64 किमी क चौड़ीकरण भ सकल अछि। बाकी 645 किमी क ठेका देल गेल अछि, मुदा ओहि पर काज शुरू नहि भ सकल अछि।
रिपोर्ट क अनुसार सबस नीक काज बिहार मे भ रहल अछि। बिहार मे नक्सलग्रस्‍त इलाका मे सड़क सुधार योजना क तहत 674 किमी राजमार्ग क पहचान चौड़ीकरण क लेल भेल अछि। एहि मे स एखन धरि 527 किमी चौड़ीकरण भ गेल अछि। बाकी सेहो अगिला साल-डेढ़ साल मे पूरा भ जेबाक उम्मीद अछि। उत्तर प्रदेश मे नक्सलग्रस्‍त जिला क संख्या केवल तीन (मिर्जापुर, चंदौली आ सोनभद्र) अछि। लिहाजा केवल 64 किमी राजमार्ग क चौड़ीकरण हेबाक अछि। एहि मे स 19 किमी क काज पूरा भेल अछि। शेष अगिला साल-डेढ़ साल मे पूरा भ जेबाक उम्मीद अछि। मध्य प्रदेश क 237 किमी नक्सल ग्रस्‍त राजमार्ग मे स 72 किमी चौड़ा भ चुकल अछि। बाकी 144 किमी क ठेका जारी कैल जा चुकल अछि। जाहि पर दू साल मे काज पूरा भ जेबाक उम्मीद अछि। बाकी 21 किमी क ठेका शीघ्र देबाक उम्मीद अछि। बिहार जेकां आंध्र प्रदेश सेहो नीक काज केलक अछि आ ओहि ठाम 620 किमी मे स 428 किमी राजमार्ग चौड़ा भ चुकल अछि। बाकी पर काज चलि रहल अछि। महाराष्ट्र मे 420 किमी मे स 209 किमी क काज पूरा भ गेल अछि। ओडिशा मे 614 किमी मे स महज 94 किमी क चौड़ीकरण भ चुकल अछि।

कोन ठाम केतबा बनल सडक

             राज्य…:     कुल काज-      काज पूरा
——————–

  1. बिहार……   674…                527
  2. आंध्र……    .620…               428
  3. छत्तीसगढ़….2092..              452
  4. झारखंड…..753..                    64
  5. मध्य प्रदेश…237…                 72
  6. महाराष्ट्र…..420…                    209
  7. ओडिशा……614…                     94
  8. उत्तर प्रदेश….67…                      19

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments