सगुना पार्क बनत पटनाक नव परिचय

पटना। काली पूजाक मौका पर पटना कए एकटा नव परिचय भेटत। एखन धरि पटना क परिचय गोलघर, शहीद स्‍मारक आ गांधी मैदान स होइत अछि। एहि सूची मे एकटा आर परिचय जोडबा लेल पथ निर्माण विभाग क देखरेख मे पैघ स्तर पर एकर तैयारी चलि रहल अछि। बिहार शताब्दी वर्ष मे एहि ‘सिग्नेचर मान्यूमेंट’ क सनेस मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स्वयं लोक कए समर्पित करताह।
सगुना मोड़ पर पथ निर्माण विभाग क देखरेख मे बनि रहल वृहद गोलंबर क डिजायन कए एहि प्रकार स तैयार कैल जा रहल अछि जे इ आधुनिक आ प्राचीन निर्माण शैली क मिश्रण देखबा मे भेटत। गोलंबर क गेट कए कांस्य पंटटी क मेहराब स सजाउल जा रहल अछि। चारूकात कारी रंग क ग्रेनाइट लगाउल जा रहल अछि। एकर अलावा अतिरिक्त दूटा सिंह आओर वैशाली स्तंभ क अनुकृति एहि गोलंबर परिसर क विशेषता रहत। इंडिया गेट जेकां जंजीर वाला छोट-छोट लोहाक पीलर सेहो देखबा मे भेटत।
पथ निर्माण विभाग क सचिव प्रत्यय अमृत क कहब अछि जे गोलंबर भव्यता क एहसास कराउत। रुपसपुर गोलंबर स लकए सगुना मोड़ तक अत्याधुनिक तरीका क सजावटी रोशनी कैल जा रहल अछि। सड़क क बीचोंबीच बाहर स मंगा कए खास प्रकारक गाछ लगाउल जा रहल अछि। एहि गाछ सब पर विशेष रूप स रोशनी देल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments