संसद मे होइत बिहार क हक क लड़ाई : शाहनवाज

shahnawaz-hussain
नई दिल्ली। भाजपा अल्पसंख्यक मोर्चा क अध्यक्ष आ सांसद सैयद शाहनवाज हुसैन कहला अछि जे संसद क शीतकालीन सत्र मे बिहार क हक क लेल मजबूत लड़ाई होयत। इ साजिश बेनकाब कैल जाइत जे कोना दिल्ली क सरकार बिहार क विकास मे बाधक अछि। दिल्ली मे लंबित बिहार क विकास संबंधी योजना आ पैकेज क हवाला दैत ओ कहला जे कांग्रेस एहि प्रदेश क सबस पैघ दुश्मन अछि। पहिने इ काज लालू प्रसाद आ रामविलास पासवान क पार्टी करैत छल। एहि परिस्थिति मे हमरा सब कए आक्रामक हुए पड़त। हम अपन हक लडि़कए लेब। एकटा प्रश्नक उत्तर मे हुसैन स्पष्ट केला जे भाजपा क प्रदेश इकाई मे कोनो विवाद नहि अछि। कोड़ा मामला मे ओ कहला जे मधु कोड़ा क पाप मे राजद-कांग्रेस आ झामुमो बराबर क हिस्सेदार अछि। इ सब कोड़ा पर लगल आरोप क जिम्मेदारी स नहि बचि सकैत छथि। ओ वंदेमातरम क खिलाफ जारी हालिया फतवा कए बेतुका करार देलथि। जसवंत सिंह क संबंध मे कहलथि जे अगर ओ मौलाना अबुल कलाम आजाद पर किताब लिखैत, त ओ हुनकर मुरीद हेताह। मध्यप्रदेशक मुख्यमंत्री शिवराज सिंह चौहानक बयान पर ओ कहलथि जे हुनकर बयान कए गलत रूप मे पेश कैल गेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments