संविदा पर नियुक्त शिक्षक कए सेहो भेटत लोन

पटना। प्रखंड आ पंचायत शिक्षक क लेल खुशखबरी अछि, आब संविदा पर नियुक्त शिक्षक कए सेहो बैंक स पर्सनल लोन आसानी स भेट सकत। राज्य सरकरा एहि बाबत सबटा बैंक कए निर्देश द देलक अछि। सरकार साफ तौर पर कहलक अछि जे नवनियुक्त प्रखंड आ पंचायत शिक्षक कए सेहो राज्य क अन्य कर्मी क भांति लोन सुविधा मुहैया कराउल जाए। सरकार क एहि आदेश क बाद बैंक संविदा पर नियुक्त शिक्षक कए लोन देबा पर अपन सहमति द देलक अछि।
एहि संबंध मे उप-मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला जे हुनका लगातार शिकायत भेट रहल छल जे रिाज्य सरकार द्वारा नवनियुक्त प्रखंड आ पंचायत शिक्षक कए बैंक लोन देबा मे आनाकानी करैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments