संरक्षित होएत भागलपुर क 100 साल पुरान मकान


भागलपुर। नगर मे सौ साल क आयु पूरा करि चुकल ऐतिहासिक महत्व क मकान कए सरकार संरक्षित करत। एहि मकान सब कए चिह्नित करि सर्वे कराउल जाएत फेर ओकरा बचा रखबा लेल प्रयास होएत। कला संस्कृति विभाग एहि दिशा मे पहल केलक अछि। विभाग एहन स्थल कए संरक्षित रखबा लेल हर संभव मदद करबा लेल तैयार अछि। कला संस्कृति आ युवा विभाग क सचिव डॉ. केपी रमैय्या अपने एहि मामला कए देख रहल छथि। जिला पदाधिकारी नर्मदेश्वर लाल कहला जे जिला मे एहन कईटा मकान अछि जे स्थापत्य कला क नमूना अछि। आजुक परिस्थिति मे एहन भवनक निर्माण मुश्किल अछि। सरकार क योजना अछि जे एहि स्थल सब कए संरक्षित करि टूरिस्ट सर्किट क रूप मे विकसित कैल जाए। एहि स्थल पर ओकर महत्व स संबंधित एकटा प्लेट लगाउल जाएत जाहि मे स्थल स संबंधित समस्त जानकारी मौजूद रहत। लाल कहला जे सरकार कए प्रस्ताव पठेबा लेल स्थल स संबंधित दस्तावेज जमा कैल जा रहल अछि। एहि लेल ओे भागलपुर गजेटियर स सहयोग ल रहल दथि। ज्ञात हुए जे एहि शहर मे फिल्म अभिनेता अशोक कुमार क जन्म भेल अछि आ महान साहित्यकार शरदचंद्र क मकान अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. नीक बात ………………. पर दरभंगा फोर्ट किएक नञि ?

Comments are closed.