संभावना तकबा लेल बिहार पहुंचलाह माल्या


पटना। पटना हवाई पर सोमदिन सांझ स विशेष सरगरमी छल। राति करीब साढ़े नौ बजे क आसपास एकटा विशेष विमान पहुंचल। किंगफिशर क एहि विशेष विमान स बिहार मे बदलाव कए एकटा आओर उम्मीद पटनाक धरती पर उतरल। बिहार क धरती स अपन कैरियर शुरू करनिहार लिकर किंग से प्रख्यात युनाइटेड ब्रेवरीज गु्रप क चेयरमैन विजय माल्या बिहार मे संभावना तकबा लेल पहुंच चुकला अछि।
दरभंगा एयरलाइंस आ सहारा एयरलाइंस क बाद किंगफिशर एयरलाइंस तेसर एहन विमाणान कंपनी अछि, जेकर मालिक या त बिहार मे जन्म लेने छथि आ एहि ठाम स कॅरियर शुरू केने छथि।
पटना हवाई पर उतरैत देरी माल्या पटनाक पूरान स्मरण मे डूबी गेलाह। कहलथि आजुक यात्रा हमरा लेल अतीत क यात्रा जइसन अछि। एयरपोर्ट परिसर मे संवाददाता स गप करैत ओ कहला जे बिहार हुनकर पहिल प्रेम जेकां अछि, एकरा शराब मे डूबलाक बादो नहि बिसरि सकैत छी, आखिर हाथीदह मे लागल हमर कंपनीक पहिल इकाई बिहार मे अछि। ओ कहला जे अपन प्रवास क दौरान ओ एहि ठाम अपन विस्तार क संभावना कए तकताह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.