शौचालय क अभाव मे सवा करोड़ क आईसीयू क उदघाटन अटकल

दरभंगा। डीएमसीएच शिशु रोग वार्ड मे करीब सवा करोड़ क लागत स निर्मित गहन चिकित्सा कक्ष (आईसीयू) क उदघाटन शौचालय क अभाव मे पांच माह स अटकल अछि। इसका उदघाटन अगस्त 10 कए तय छल। एकर बाद उदघाटन सात अक्टूबर कए निर्धारित भेल। एकर उदघाटन यूनिसेफ क प्रमुख कए करबाक छल। दोसर दिस एनआरईपी भवन क निर्माण त करा देलक, मुदा ओहि मे शौचालय क व्यवस्था नहि अछि। जखनकि आईसीयू मे पीएचसी क डाक्टर कए प्रशिक्षण देबा लेल 80 हजार टका एहि वार्ड कए प्राप्त भ गेल अछि। यूनिसेफ क दिस स उत्तर बिहार क सबस पैघ डीएमसीएच मे स्पेशल केअर न्यूनेटल यूनिट क निर्माण कराउल गेल अछि। ताकि एहि क्षेत्र क बच्चा क मृत्यु दर मे कमी आनल जा सकए। 20 बेड क एहि आईसीयू मे करीब एक करोड़ क जीवन रक्षक मशीन कए इंस्टाल करि देल गेल अछि। एहि मे 18 वार्मर, आठ फोटोथेरेपी, ऑटोथिरेपी, ऑटोमेटिक इन्फ्यूजन, पल्स आक्सीमीटर, इंफेन्टोमीटर, 50 केवी क साउंड लेस जेनरेटर आदि मशीन शामिल अछि। एहि ठाम पारा मेडिकल कर्मी, डाक्टर आ अन्य कर्मी क रोस्टर ड्यूटी क अलग स व्यवस्था करि देल गेल अछि। नव आईसीयू मे इ व्यवस्था शुरू अछि। एकरा लेल कर्मी जुलाई मे दिल्ली स प्रशिक्षण ल कए लौट चुकल छथि। आईसीयू क भवन निर्माण क लेल आवंटित 16.50 लाख टका मे स शिशु रोग क विभागाध्यक्ष डा. केएन मिश्रा एनआरईपी कए साढ़े बारह लाख टका क भुगतान सेहो करि देने छथि। एकर बावजूद एनआरईपी क कार्यपालक अभियंता एकरा पूरा नहि करि रहल अछि। विभागाध्यक्ष डा. मिश्रा कहला जे शौचालय क अभाव मे आईसीयू कए गंभीर मरीज क लेल नहि खोलल जा सकल अछि। एहि बीच मशीन उपकरण क गारंटी क छह माह सेहो बीत गेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments