शेफालिका कए मैथिली लेल साहित्य अकादमी सम्मान

नई दिल्‍ली। मैथिली क वरिष्ठ साहित्यकार डा0 शेफालिका वर्मा कए मैथिली भाषा लेल एहि वर्ष क प्रतिष्ठित साहित्य अकादमी पुरस्कार लेल चुनल गेल अछि। डा0 शेफालिका वर्मा कए हुनकर मैथिली पुस्तक ‘किस्त-किस्त जीवन’ लेल इ पुरस्कार देल जाएत। पुरस्कार क विधिवत घोषणा साहित्य अकादमी 20 दिसंबर कए करत। सहरसा क एसएनएसआरकेएस कालेज स अवकाश प्राप्त हिन्दी क अघ्यापिका डा0 शेफालिका क गिनती मैथिली क प्रमुख साहित्यकार मे होइत अछि। ओ एखन धरि एक दर्जन स बेसी कहानी उपन्यास, कविता आ यात्रा वृतांत लिखने छथि।
डा0 शेफालिका वर्मा कए इ पुरस्‍कार भेटब एकटा हर्ष क विषय अछि किया त बहुत लोक क इ कहब छल जे हुनका इ पुरस्‍कार एखन धरि किया नहि भेटल से बुझब कठिन अछि। डा0 शेफालिका वर्मा पिछला 40 साल स मैथिली साहित्‍य मे एकटा मजबूत हस्‍ताक्षर कहल जा सकैत अछि। मैथिली भाषा मे लिखनिहारि महिला लेखक क कतार मे ओ अगिला पांति मे रहलथि अछि। हुनक रचना देश-विदेश मे लोकप्रिय अछि। इ’समाद कए भेटल जानकारी क अनुसार एहि वर्ष मैथिली क 12टा लेखक एहि पुरस्कार लेल नामांकित छलाह। मुदा अकादमी क ज्यूरी शेखर प्रकाशन द्वारा प्रकाशित डा0 शेफालिका वर्मा क एहि संस्मरण कए पुरस्कार क योग्य मानलक।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.