शुरू भेल ऐतिहासिक बलिराजगढ़ क खुदाई

बाबूबरही (मधुबनी) । ऐतिहासिक बलिराजगढ़ किला क विधिवत खुदाई क कार्य 16 जनवरी कए दुपहरिया बाद 1.30 बजे स प्रारंभ भ गेल । एहि अवसर पर आर्कियोलोजिकल विभाग क वरीय अधिकारी मौजूद छलाह। जदयू राष्ट्रीय कार्यकारिणी क सदस्य डा. भारती मेहता कहला अछि जे मुख्यमंत्री क दृढ इच्छा शक्ति क कारण आइ मिथ‍िलाक चिर लंबित माग पूरा भ रहल अछि। एहि स पूर्व प्राचीन किला क खुदाई क सबटा तैयारी पूरा क लेल गेल छल। आर्कियोलोजिकल सर्वे आफ इंडिया, सर्किल पटना क सुपरिटेंडिंग आर्कियोलोजिस्ट एमएस चौहान क निर्देशन मे पुरातत्वविद् शंकर शर्मा, डा. सुनील कुमार झा सहित फोटोग्राफर, सर्वेयर आदि क 7 सदस्यीय दल गत 22 दिसंबर स उत्खनन क पूर्व तैयारी मे लागल छल। तैयारी पूरा भेला पर काज शुरू कैल गेल अछि। उत्तर-पूर्वी कोण पर पोर्ट यार्ड बनाउल गेल अछि। जे प्रतिबंधित क्षेत्र अछि। एहि चिन्हित स्थल स खुदाई काज क शुभारंभ भेल अछि। आर्कियोलोजिकल मैन्यूअल क अनुसार खुदाई काज केवल मजदूर स कराउल जाएत। कोनो आधुनिक मशीन क उपयोग खुदाई काज मे नहि होएत। एकर पाछु पुरातत्वविदक तर्क अछि जे प्राप्त अवशेष बिना विकृति पूर्व क स्वरूप मे प्राप्त भ सकत। मजदूर सेहो धीरे-धीरे खुदाई करताह।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.