शिक्षा देखनिहार अंजनी बाबू आब देखताह कृषि

पटना। बिहार मे 15 विभाग क प्रधान सचिव समेत भारतीय प्रशासनिक सेवा (आईएएस) क 34टा वरिष्ठ अधिकारी कए स्थानांतरण करि देल गेल अछि। शिक्षा विभाग क प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह कए कृषि विभाग क सचिव बना देल गेल अछि। स्वास्थ्य विभाग क प्रधान सचिव अमरजीत सिन्हा आब शिक्षा विभाग क प्रधान सचिव भ गेलाह अछि।
दोसर दिस, श्रम संसाधन विभाग क प्रधान सचिव ब्यास जी कए स्वास्थ्य विभाग क प्रधान सचिव बना देल गेल अछि, त संसदीय कार्य विभाग क प्रधान सचिव फूल सिंह पंचायती राज मे आ पंचायती राज क प्रधान सचिव कए संसदीय कार्य विभाग मे पठा देल गेल अछि।
स्थानांतरण सूची मे भागलपुर क जिलाधिकारी नर्मदेश्वर लाल कए दरभंगा क डीएम त वैशाली क डीएम प्रेम सिंह मीणा कए भागलपुर क डीएम बना देल गेल अछि। पटना क उप विकास आयुक्त मनोज कुमार कए बेगूसराय क डीएम बना देल गेल अछि त बेगूसराय क डीएम क पद स जीतेन्द्र कुमार कए वैशाली क डीएम पर पठा देल गेल अछि। वीरेन्द्र प्रसाद यादव कए शेखपुरा डीएम स हटा कए कटिहार क डीएम बना देल गेल अछि, जखनकि कटिहार क डीएम अश्विनी दत्तात्रेय ठाकरे कए सीतामढ़ी क डीएम बना देल गेल अछि।
अधिकारी क नव पदस्‍थापन क सूची एहि प्रकार स अडि-

1. फूल सिंह-प्रधान सचिव,पंचायती राज विभाग
2. मनोज कुमार श्रीवास्‍तव-प्रधान सचिव,संसदीय कार्य विभाग
3. अंजनी कुमार सिंह-प्रधान सचिव,कृषि विभाग। अतिरिक्‍त कला संस्‍कृति आ युवा कार्य
4. व्‍यास जी-प्रधान सचिव,स्‍वास्‍थ्‍य विभाग । अतिरिक्‍त आपदा प्रबंधन
5. अमरजीत सिन्‍हा-प्रधान सचिव,शिक्षा
6. दीपक कुमार-प्रधान सचिव,सामान्‍य प्रशासन। अतिरिक्‍त पर्यटन आर सूचना आ जनसंपर्क
7. शशि शेखर शर्मा-प्रधान सचिव,पशु आ मत्‍स्‍य
8. आर के महाजन-प्रधान सचिव,परिवहन क अतिरिक्‍त राज्‍य परिवहन आयुक्‍त
9. सुधीर कुमार-सचिव,पशु आ मत्‍स्‍य क सचिव,नगर विकास आ आवास क पद पर
10. अमृत लाल मीणा-सचिव,श्रम संसाधन
11. सुनील बर्थवाल-स्‍थानिक आयुक्‍त,बिहार,नई दिल्‍ली
12.राहुल सिंह-परियोजना निदेशक,बिहार शिक्षा परियोजना परिषद्। अतिरिक्‍त परियोजना निदेशक,माध्‍यमिक शिक्षा परियोजना
13. विपिन कुमार-अपर स्‍थानिक आयुक्‍त,बिहार,नई दिल्‍ली
14. संजीव हंस-अध्‍यक्ष,बिहार राज्‍य पुल निर्माण निगम लिमिटेड
15. डी के श्रीवास्‍तव-निदेशक,पर्यटन
16. नर्मदेश्‍वर लाल-जिलाधिकारी,दरभंगा
18. जितेन्‍द्र श्रीवास्‍तव-जिलाधिकारी,वैशाली
19. प्रेम सिंह मीणा-जिलाधिकारी,भागलपुर
20. लोकेश कुमार सिंह-परियोजना निदेशक,बिहार ग्राम स्‍वराज सोसायटी । अतिरिक्‍त अपर सचिव,पंचायती राज विभाग
21. असंगबा चुबा आओ- सामान्‍य प्रशासन विभाग मे योगदान देताह।
22. आर लक्ष्‍मणन-निदेशक,मध्‍याह्न भोजन,शिक्षा विभाग
23. वीरेन्‍द्र प्रसाद यादव-जिलाधिकारी,कटिहार
24. अजय यादव-परियोजना निदेशक,बिहार कोसी पुनर्वास आ पुनर्निमाण सोसायटी,पटना
25. आदेश तितरमारे- जिलाधिकारी,मधुबनी
26. अश्विनी दत्‍तात्रेय ठाकरे- जिलाधिकारी-सीतामढ़ी
27. दयानिधान पाण्‍डेय- उत्‍पाद आयुक्‍त-सह-निबंधन महानिरीक्षक
28. जय सिंह-जिलाधिकारी,कैमूर
29. संजय कुमार सिंह-जिलाधिकारी,शेखपुरा
30. दीपक आनंद-जिलाधिकारी,बांका
31. मनोज कुमार-जिलाधिकारी,बेगूसराय
32. गोपाल मीणा- जिलाधिकारी,सीवान
33. विनोद सिंह गुंजियाल-जिलाधिकारी,बक्‍सर
34. आशिमा जैन-उप विकास आयुक्‍त,पटना
35. आलोक वर्द्धन चतुर्वेदी-सामान्‍य प्रशासन विभाग,बिहार,पटना मे योगदान देताह

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments