शिक्षक पद पर नियोजन क लेल आवेदन प्रक्रिया स प्रारंभ

0
1
esamaad maithili newspaper

पटना। प्रारंभि‍क, माध्यमिक आ उच्चतर माध्यमिक विद्यालय मे शिक्षक पद पर नियोजन क लेल आवेदन प्रक्रिया स प्रारंभ भ गेल। एकरा लेल शिक्षा विभाग क वेबसाइट पर आवेदन पत्र क प्रारूप राखि देल गेल अछि। आवेदन पत्र क संग प्रारंभिक विद्यालय लेल टीईटी उत्तीर्णता प्रमाणपत्र आ माध्यमिक आ उच्चतर माध्यमिक विद्यालय लेल एसटीईटी उत्तीर्णता प्रमाणपत्र क छाया प्रति संलग्न करब जरूरी अछि।
शिक्षा विभाग क अनुसार प्रारंभिक विद्यालय मे 17 दिसंबर स 20 दिसंबर 2012 क बीच नियोजन इकाई द्वारा नियोजन पत्र निर्गत कैल जाएत। जखनकि माध्यमिक आ उच्चतर माध्यमिक विद्यालय मे नियोजन इकाई द्वारा काउंसिलिंग क बाद नियोजन पत्र 29 नवंबर स ल कए 8 दिसंबर 2012 क बीच चारि चरण मे वितरित होएत। प्रथम चरण मे नगर निगम क्षेत्र क स्कूल मे 29 नवंबर 2012 कए, नगर परिषद क्षेत्र क स्कूल मे 30 नवंबर स 3 दिसंबर तक, नगर पंचायत क स्कूल मे 4 स 6 दिसंबर 2012 तक आ जिला परिषद क माध्यमिक आ उच्चतर माध्यमिक विद्यालय मे 8 दिसंबर 2012 तक नियोजन पत्र निर्गत कैल जाएत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page