शिंदे २५ कए मिथिला मे

0
7
esamaad maithili newspaper

सुपौल : केंद्रीय गृह मंत्री सुशील कुमार शिंदे 25 जून कए भपटियाही आउताह। एहिठाम ओ एसएसबी ट्रेनिंग कैंप क शिलान्यास करतथि। गृह मंत्री एकर बाद भपटियाही लग एनएच 57 स उत्तर मीरगंज चौक(अररिया) तक प्रस्तावित इंडो-नेपाल बोर्डर रोड क सेहो शिलान्यास करतथि। गृह मंत्री क संग भारत सरकार क गृह सचिव आ एसएसबी क डीजी रहताह। इ जानकारी एसएसबी क कमांडेंट गुरु दिन डिएम लक्ष्मी प्रसाद चौहान आ एसपी सुधीर कुमार पोरका देलथि। ओ कहलथि जे गृहमंत्री शिंदे क आगमन लेल जोर शोर स तैयारी भ रहल अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page