शाही हत्याकांड मे ज्ञानेंद्र कए हाथ!

जनकपुर। नेपाल क शाही परिवार क अंगरक्षक हेबाक दावा करैत एक टा कैदी खुलासा केलक अछि जे 2001 मे भेल शाही महल हत्याकांड क पाछु राजकुमार पारस क संग-संग पूर्व नरेश ज्ञानेंद्र क सेहो हाथ छल। हत्या क मामला मे वीरगंज मे सजा काटि रहल कैदी लाल बहादुर मागर क दावा अछि जे ओ शाही हत्याकांड क चश्मदीद गवाह अछि। ओ इहो दावा केलक जे ओहि घटना मे पूर्व युवराज पारस क हाथ छल। मागर क दावा अछि जे ओ ओहि घटना क समय दीपेंद्र क अंगरक्षक छल। मालूम हुए जे शाही हत्याकांड मे नेपाल क पूर्व नरेश वीरेंद्र संग शाही परिवार क कई टा सदस्य क हत्या भ गेल छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments