शाहनवाज मंगलथि सड़क क लेल आओर फंड

पटना । भाजपा सांसद आ पूर्व केन्द्रीय मंत्री सैयद शाहनवाज हुसैन एकटा छोट सन मुदा नव पहल केलथि अछि। राज्य मे प्रधानमंत्री ग्रामीण सड़क योजना (पीएमजीवाई) क प्राक्कलन संशोधित करबा आओर अपेक्षित आ समुचित फंड उपलब्ध करेबाक मांग करबा लेल ओ केन्द्रीय ग्रामीण विकास मंत्री विलासराव देशमुख क दुहारि पर पहुंचलाह अछि। हुसैन भागलपुर स सांसद छथि।  हुसैन देशमुख कए राज्य मे ग्रामीण सड़क योजना क संबंध मे एकटा ज्ञापन सेहो देलाह अछि। ज्ञात हुए जे करीब एक माह पूर्व एनबीसीसी बिहार मे सडक बनेबा स हाथ खींच लेने छल। एकर बाद उम्मीद कैल जा रहल छल जे कोनो स्तर पर एकर विरोध होएत, हुसैनक पहल एहि संदर्भ मे देखल जा रहल अछि। भेंटक संदर्भ मे हुसैन कहला जे राज्य मे जे सड़क एनबीसीसी कए बनेबाक छल, संवेदक नहि भेटबा क कारण स नहि बनि सकल अछि। बीतल 3-4 साल स एनबीसीसी पीएमजीवाई क अधीन बनि रहल सड़क कए एस्टिमेट (प्राक्कलन) संशोधित नहि केलक अछि, जाहि स पुरान दर पर संवेदक काज करबा स कतरा रहल छथि। ओ कहला जे संप्रग सरकार बिहार क संग जेना सौतेला व्यवहार करि रहल अछि, ओकरा लेल सब कए एकजुट भ बिहार लेल आवाज उठेबाक चाही।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments