शाहनवाज चुनल गेलाह डीडीए सलाहकार परिषदक सदस्य

राजद सांसदक समर्थन सहित कुल 123टा मत भेटल
नई दिल्ली। दिल्ली विकास प्राधिकरण क सलाहकार परिषद क लेल बिहार क भागलपुर स लोकसभा क सदस्य भाजपा नेता शाहनवाज हुसैन चुनल गेलथि अछि। दिल्ली स कोनो सांसद नहि रहबाक कारण भाजपा बिहार क भागलपुर स सांसद शाहनवाज कए मैदान मे उतारक। ओना हुसैन काफी दिन स दिल्ली मे रहैत छथि आ हुनका दिल्ली क समस्या क काफी अनुभव सेहो छैन। एहि चुनाव में खास गप इ रहल जे भाजपाक उम्मीदवार शाहनवाज कए भेटल 123 मत मे राजद क सांसद क वोट सेहो शामिल अछि। ओनो राजदक अलावा अन्य दल क दसटा सांसद क वोट सेहो हुसैन क खाता मे आयल अछि। झारखंड क विधानसभा चुनाव आ मध्य प्रदेश आ छत्तीसगढ़ मे स्थानीय निकाय क चुनाव क चलते भाजपा क कईटा सांसद मतदान नहि करि सकलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments