शारदा सिन्हा कए भेटल वोटर कए जागरूक करबाक जिम्मा


पटना । बिहार कोकिला पद्मश्री शारदा सिन्हा आब विधानसभा चुनाव मे वोटर कए जागरूक करबा लेल गीत गउतीह। शारदा सिन्हा आब जल्द टीवी चौनल पर गीत क माध्यम स वोट देबा लेल आग्रह करैत भेटतीह। निर्वाचन आयोग कए बिहार मे वोट क प्रति जागरूकता क लेल पूर्व राष्ट्रपति डॉ कलाम, क्रिकेटर तेंदुलकर, धौनी, छोटे पर्दा क कलाकार रतन राजपूत (लाली) आओर इंडियल आइडल क रनर दीपाली क नाम प्रस्तावित कैल गेल छल। आयोग एखन धरि केवल शारदा सिन्हा कए जन जागरण क लेल चुनलक अछि। शेष पर निर्णय बाकी अछि।
निर्वाचन आयोग हुनका विधानसभा चुनाव मे मतदान क प्रति जागरूकता बढ़ेबा लेल ब्रांड एम्बेसडर चुनलक अछि। ज्ञात हुए जे निर्वाचन आयोग विधानसभा चुनाव मे मतदान क प्रति निराश लोक कए बूथ पर जेबा लेल जागरूकता अभियान चलेबाक निर्णय लेने अछि। मतदाता पहचान पत्र निर्माण क लक्ष्य पूरा करबाक बाद चुनाव आयोग आब मतदान क प्रतिशत मे गिरावट कए रोकबा लेल कईटा डेग उठेलक अछि। आयोग विधानसभा चुनाव मे औसत मतदान क लक्ष्य 60 फीसदी रखलक अछि। एकरा लेल बूथ पर तैनात पुलिस कए वोटर क लेल मददगार बनेबाक गप सेहो चलि रहल अछि
आयोग मतदान क प्रतिशत बढ़ेबा लेल एहि बेर आईईसी (इंफार्मेशन एजुकेशन एंड कम्युनिकेशन) सेल गठित केलक अछि जे वोट देबा लेल मतदाता कए प्रेरित करत। संगहि विभिन्न प्रचार माध्यम स चुनाव क पूरा प्रक्रिया आओर मतदाता कए हर सूचना सुलभ करेबाक दायित्व सेहो निभाउत। सेल क माध्यम स मतदाता कए अपन पहचान पत्र, बूथ, आब्जर्वर, माइक्रो आब्जर्वर, ईवीएम, वज्र गृह, मतदान आओर मतगणना क प्रक्रिया, वाहन कोषांग, चुनाव व्यय लेखा, चुनाव सामग्री, कर्मियों क प्रतिनियुक्ति आ उम्मीदवार क बारे मे सूचना एकहि ठाम उपलब्ध होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments