व्‍यापारी क सम्‍मान स कर क प्रति सजगता बढत : सरावगी

0
3
esamaad maithili newspaper

दरभंगा । समय स टैक्स देनिहार दरभंगा प्रमंडल क दसटा व्यापारी कए शनिदिन सम्मानित कैल गेल । दरभंगा जिला क मखाना भंडार क पवन कुमार बगेरिया आ अंशु इंटर प्राइजेज क भरत कुमार बगेरिया कए लगातार पांचम बेर पुरस्‍कृत कैल गेल। प्रदीप कुमार दोसर बेर इ सम्‍मान ग्रहण केलथि। सम्‍मान लेनिहार कारोबारी मे प्रह्लाद राय सेहो शामिल छथि । मधुबनी जिला क बालाजी इंटरप्राइजेज आ इंडिया गोल्ड इंडस्ट्रीज कए सम्मानित कैल गेल। समस्तीपुर जिला क खालसा साइकिल स्टोर्स, शिव इंटरप्राइजेज, शिवशक्ति स्टोर्स, मिथिला इंटरप्राइजेज आ संजय आर कुमार कए सम्मानित कैल गेल । एहि स पूर्व सेल्स टैक्स विभाग दिस स भाभा सम्मान समारोह क उद्घाटन करैत दरभंगा क नगर विधायक संजय सरावगी कहला अछि जे व्यापारी स तय समय पर टैक्स आ विवरणी भेटला स सरकार क विकास काज समय पर पूरा करबा मे मदद भेटैत अछि। ओ कहला जे समय स टैक्स देनिहार व्यापारी कए सम्मान द कए विभाग हुकर भावना कए मजबूत करैत अछि आ आन व्‍यापारी कए हिनका अपन आदर्श बनेबा लेल प्रेरित करैत अछि । एहि स कर देबाक प्रति व्यापारी मे सजगता बढ़त । कार्यक्रम क अध्यक्षता करैत प्रमंडलीय वाणिज्य आ उद्योग परिषद क अध्यक्ष पवन सुरेका कहला जे अगर विभाग मे कोनो परेशानी भ रहल अछि त परिषद क कार्यालय मे आबि परेशानी क संबंध मे चर्च करू, हम परेशानी दूर करबाक हर संभव प्रयास करब।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page