वैशाली क लाल बचेलक बिहारक इज्जत

हाजीपुर। लिखबा आ पढबा मे बिहार सबस आगू रहैत अछि, मुदा खेलेबा मे ओ एतबा पाछु अछि जे ओकर उल्लेख त नहि भ पबैत अछि। किछु एहने भेल कामनवेल्थ गेम मे रजत पदक हासिल करि बिहार क गौरव बढ़ेनिहार हाजीपुर निवासी चन्द्रशेखर कुमार चौधरी क संग। कामनवेल्थ गेम मे रजत पदक हासिल करबाक बावजूद देश एहि भ्रम मे रहल जे पदक तालिका मे जे भारतीय खिलाडीक नाम अछि ओहि मे कियो बिहारी नहि अछि। मुदा हाजीपुर अपन एहि बेटा क जीत पर खूब नाचल, खुशी मनेलक। जखन इ पता लागल जे रजत पदक हासिल कए चन्द्रशेखर हाजीपुर आबि रहल छथि त पूरा जिला क लोग हुनकर भव्य स्वागत लेल तैयार मे जुटि गेल। वैशाली क एहि सपूत क अगवानी क लेल जिला क खिलाड़ी -उत्साही नौजवान क जत्था पटना एयरपोर्ट पर पहुंच गेल। चन्द्रशेखर जखने एयरपोर्ट स बाहर एलाह ओतए उपस्थित जनसमूह हुनका फूल-माला स लादि देलक। दर्जन स बेसी गाडी मे लदल शुभेच्छु-प्रशंसक क संग चन्द्रशेखर हाजीपुर स्थित फन प्वाइंट रिसार्ट परिसर पहुंचलाह। चन्द्रशेखर क कामयाबी स गदगद जिलाक लोक हुनकर भव्य अभिनंदन केलक। एहि मौका पर जिलाक सबटा पैघ नेता, पदाधिकारी और व्यावसायी मौजूद छलाह।
एहि अवसर पर चन्द्रशेखर कहला जे बिहार मे खेलक माहौल नहि अछि, नीक मैदान आ साधन उपलब्ध हुए त इ राज्य सेहो आंध्र आ हरियाणा जेकां देश कए पदक लेनिहार खिलाडी द सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments