वी मार्ट क बिहार क पांचम स्‍टोर दरभंगा मे खुलल

दरभंगा। भारतीय वैल्यू रिटेल क्षेत्र क कंपनी वी मॉर्ट दरभंगा पहुंच गेल। कहियो सब चीज एक ठाम उपलब्‍ध भ जाए ताहि लेल गोल मार्केट निर्माण भेल छल, मुदा ओ सपना सपने रहल। मुदा आब जा कए ओ सपना पूरा भेल। गोल मार्केंट जेतबा त नहि मुदा लगभग 10 हजार वर्ग फीट मे बनल एहि स्‍टोर मे लोक कए सबटा जरूरी सामान एक ठाम उपलब्‍ध भ सकत। दरभंगाक राजकुमार गंज में खुलल इ रिटेल स्टोर वी मार्ट क बिहार में पांचम रिटेल स्टोर अछि। इ स्टोर पूर्णत: वातानुकूलित सेहो अछि।
मार्ट क फीता काटि कए विधिवत उद्घाटन करैत विधायक संजय सरावगी कहला जे वी मार्ट क शहर में खुलब देखा रहल अछि जे शहरक माहौल बदलल अछि। निवेशक शहर मे आबि रहल छथि। एक छत क नीचा सब तरहक सामान भेटब शहर क लोक लेल सुविधाजनक भ गेल अछि। वी मार्ट (बिहार) क अध्यक्ष आ प्रबंध निदेशक ललित अग्रवाल कहला जे देश क 45टा शहर में अपन सामान स लोक कए संतुष्‍ट केलाक बाद कंपनी दरभंगा क लोक कए सेवा मे पहुंच गेल अछि। उदघाटनक संगहि लोकक भीड सेहो मार्ट मे खूब देखल गेल। पहिल दिन करीब एक लाख टकाक खरीददारी भेल।
एखन एहि ठाम मुख्‍य रूप स महिला क परिधान, बच्‍चा क कपड़ा, पुरुष क परिधान, जूता-चप्पल, लगेज, होम फर्निशिंग, खिलौना आ खेल सामग्री, क्रॉकरी, किराना आ घरेलू सामान उपलब्ध अछि। कंपनी क कहब अछि जे एहि स्‍टोर स दरभंगा मे एकटा नव संस्‍कृति विकसित होएत। मध्यम आ निम्न तबका क उपभोक्ता समूह लेल सेहो एहि ठाम कम दाम पर बेहतर सामान उपलब्ध करौल जा रहल अछि। कंपनी क कहब अछि जे दरभंगा मे कंपनी कुल 20 हजार उत्पाद पेश करबाक योजना रखने अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

4 टिप्पणी

  1. bd accha chai v mart darbhanga mai hamara sab saman mil gaya or hum khan paan se le ker kapra sab kuch ee mai se lai chi yey

Comments are closed.