विश्व बैंक देलक बिहार क विकास क मंत्र

पटना। विश्व बैंक क एकटा शाखा बिहार क विकास लेल राज्य सरकार क कामकाज क निगरानी करत आ विकास कार्य मे पारदर्शिता अनबा लेल सुझाव देत। विश्व बैंक संस्थान क उपाध्यक्ष संजय प्रधान कहैत छथि, सरकार क कामकाज क निगरानी प्रक्रिया कए मजबूत बनाकए आ विकास कार्य मे पारदर्शिता अनबा स विकसित बिहार क मार्ग प्रशस्त होयत।
प्रधान इ गप एहि ठाम समाप्त भेल दू-दिवसीय सत्र कए संबोधित करैत कहला। विश्व बैंक संस्थान, विश्व बैंक क शिक्षण, प्रशिक्षण आ क्षमता निर्माण शाखा अछि। प्रधान कहला जे सरकार क कामकाज क ठीक स निगरानी नहि होयब आ विकास कार्य मे पारदर्शिता नहि रहब राज्य क विकास मे बहुत पैघ रुकावट अछि। प्रधान कहला जे विश्व बैंक बिहार कए विकास कार्य क लेल 1.5 करोड़ डॉलर देबा लेल प्रतिबद्ध अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments