विश्व बैंक कए मदद स चमकत सड़क

नई दिल्ली। बिहार क सड़क आब विश्व बैंक कए मदद स चकमक होएत। विश्व बैंक स करीब 15 हजार करोड़ टका क कर्ज ल कए भारत सरकार जेहि 33 टा राजमार्ग कए सिंगल लेन स डबल लेन करै जा रहल अछि, ओहि मे सब स बेसी बिहार क सड़क शामिल अछि। सड़क आ परिवहन मंत्रालय जेहि 3770 किमी पैघ सड़क क चयन केलक अछि, ओहि मे जे सड़क सिंगल लेन क अछि ओकरा आब डबल लेन करबाक योजना अछि। विश्व बैंक क मदद से जेहि सड़क परियोजना पर काज शुरू भ रहल अछि, ओकर पड़ताल करबाक लेल विश्व बैंक क एकटा टीम जनवरी मे भारत क दौरा करत। ओकरा बाद कोनो प्रतिष्ठित कंपनी कए ठेका द देल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments