विश्वविद्यालय मे छात्रसंघ क चुनाव हेबाक चाही : नीतीश

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एक बेर फेर फेर विश्वविद्यालय सब मे छात्रसंघ क चुनाव करेबाक मांग केलथि अछि आ कहला अछि जे राज्य सरकार जखन मार्च मे एकर अनुशंसा क देने अछि तखन देरी किया भ रहल अछि। एसके मेमोरियल हॉल मे छात्र जदयू क राज्यस्तरीय अधिकार सम्मेलन कए संबोधित करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे विश्वविद्यालय मे छात्र कए हिस्सेदारी भेटबाक चाही। एकरा लेल जरूरी अछि जे छात्र संघ क चुनाव हुए। अगर छात्र संघ नहि रहिते त हम केना राजनीति मे आबि सकितहु। छात्र संगठन स राजनीति कए लोक बुझैत अछि। राजनीति मे नीक लोकक कमी भ रहल अछि। ओ कहला जे पारिवारिक पृष्ठभूमिवाला लोक राजनीति मे बेसी आबि रहल अछि इ चिंता क विषय अछि। छात्र संघ क चुनाव भेला स मेहनत क बल पर राजनीति मे लोक आउत। नेतृत्व क प्रशिक्षण भेटत। छात्र आंदोलन क स्तर सेहो सुधरत। प्रकोष्ठ क नेता कए संगठन मे छात्र क भागीदारी बढेबाक चाही। शिक्षा क माहौल सुधारबा लेल सरकार क प्रयास जारी अछि मुदा सब किछु सरकार क वश मे नहि अछि। छात्र संघ क चुनाव करैब सरकार क काज नहि अछि।
मुख्‍यमंत्री कहला जे सरकार इंजीनियरिंग आ मेडिकल कॉलेज खोलबा लेल प्रयासरत अछि मुदा केंद्र बाधा उत्पन्न करैत अछि। चाणक्य विधि विवि आ चंद्रगुप्त प्रबंधन संस्थान खोलल गेल अछि। बीआइटी क शाखा खुलल। विवि मे सत्र नियमित करबा लेल शैक्षणिक कैलेंडर लागू करबा मे सरकार लागल अछि। सरकार क काज विवि कए समय पर राशि उपलब्ध करेबाक अछि जे करा देल जा रहल अछि। बाकी काज सरकार क हाथ मे नहि अछि। रेशनलाइजेशन क बाद विवि मे तीन हजार स बेसी पद पर नियुक्ति क मंजूरी द देल गेल अछि। सरकार क मंशा सब विवि क किछु किछु कॉलेज कए सेंटर ऑफ एक्सीलेंस बनेबाक अछि। एहि कॉलेज बस लेल अलग स राशि देबाक योजना अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments