वियतनाम क संसदीय टीम बिहार मे

मुख्यमंत्री स केलक भेंट, देलक वियतनाम एबाक नोत
प्रीतिलता मल्लिक

पटना । वियतनाम स आयल 12टा सांसद कहला अछि जे बिहार विकासक बाट पर चलि चुकल अछि आ एकरा लेल नीतीश कुमार बधाईक पात्र छथि। दल मानलक जे राज्य मे विकास क भ रहल अछि। स्वास्थ्य, श्रम कल्याण, ग्रामीण विकास आ सामाजिक क्षेत्र मे अभूतपूर्व काज देलक जा सहल अछि। वियतनाम संसदीय कमेटी क नेतृत्वकर्ता आ विदेशी मामला क मंत्री अध्यक्ष सुश्री थ्रुंग थाइ माइ अपन 12टा सांसद क संग सोमदिन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स हुनकर घर पर भेंट केलथि। एहि बैठकक दौरान बिहार आ वियतनाम क बीच विभिन्न मामला पर द्विपक्षीय संबंध कए मजबूत करबाक लेल गप भेल।
बैठक क दौरान वियतनाम संसदीय समिति क चेयरमैन सुश्री माइ मुस्कान एक अभियान, जननी बच्चा सुरक्षा योजना, मुफ्त दवा वितरण, पोलियो उन्मूलन अभियान, न्यूनतम मजदूरी, श्रम कल्याण, अप्रवासी मजदूर क लेल भ रहल काज क तारीफ केलथि ओ कहलथि जे बिहार मे कार्य संस्कृति क विकास भेल अछि। सुश्री माइ मुख्यमंत्री कए वियतनाम एबा लेल निमंत्रण देलथि। ओ कहलथि जे वियतनाम आ बिहार क स्थिति बहुत किछु मिलैत-जुलैत अछि। सांसद अपन बिहार यात्रा कए सुखद कहैत कहलथि जे इ यात्रा हुनका लेल अविस्मरणीय अछि। मुख्यमंत्री सेहो वियतनाम क संसदीय प्रतिनिधिमंडल कए स्वागत करैत हुनका स फेर बिहार एबाक निमंत्रण देलथि। वियतनाम क सांसद क दल मे अध्यक्ष सुश्री थ्रुंग थाइ माइ, उपाध्यक्ष मिस्टर नगूयेन वान तेल, डा मिस्टर नगूयेन धीन्हेलयूू, मिस्टर नगूयेन ताान तौन, डा मिस्टर नगूयेन मिन्ह हांग, सुश्री नगूयेन थी हांग हा, सुश्री नगूयेन थी सांग, सुश्री नगूयेन थी किम थूय, मिस्टर फाम वान केम, नगूयेन थी के, सुश्री दोंग नगोक बीच, सुश्री डा नगूयेन थी नगोक होआ शमिल छलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments