विपक्ष क ‘बिहार ब्रांडिंग’

विधानमंडल मे फेंकल गेल कुर्सी-टेबुल
पटना । पटना मे एक दिस जतय लंदन स्कूल ऑफ इकोनोमिक्स बिहार ब्रांडिंग पर कार्यशाला आयोजित केलक ओहि ठाम विपक्ष सेहो अपन तरीका स बिहार ब्रांडिंग करबा मे जुटल रहल। अराजक शासन देनिहार राजग आ बिहार मे जगन्नाथ मिश्र सन मुख्यमंत्री द कुशासनक जन्मदेनिहार कांग्रेस लोजपा कार्यकर्ता पर भेल पुलिसिया पिटाई क खिलाफ एकजुट भ शुक्रदिन विधानमंडल क दूनू सदन मे हंगामा केलथि आ कार्यवाही ठप करि देलथि। एहि दौरान विधानसभा आ विधान परिषद मे कुर्सी फेंकल गेल आ टेबिल पलटि देल गेल। इ देख स्पीकर उदय नारायण चौधरी अंतत: सोमदिन तक लेल सदन क कार्यवाही स्थगित करि देलथि। विधान परिषद मे सभापति ताराकांत झा सेहो एहना केलथि।
जहिना विधान परिषद क कार्यवाही शुरू भेल राजद, कांग्रेस आ लोजपाक सदस्य सरकार स इस्तीफा मंगैत वेल मे धरना पर बैस गेलाह। रिपोर्टर टेबुल आ कुर्सी पलट देलथि। परिषद क इतिहास मे इ पहिल बेर भेल जखन टेबिल पलटल गेल। एना भेल विपक्षक बिहार ब्रांडिंग आ सबूत देल गेल जे चाहे सब किछु बदलि जाए, मुदा विधानसभा मे हिनकर व्यवहार नहि बदलत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments