विद्यापति पुरस्कार क घोषणा

नई दिल्‍ली। मैथिली भाषा, साहित्य, कला संस्‍कृतिक लेल नेपाल क सभ सँ पैघ पुरस्कार क जनकपुर मे घोषणा भ गेल। नेपाल सरकार द्वारा गठित विद्यापति पुरस्कार लेल विभिन्न पाँचटा विधा मे कार्य करनिहार श्रेष्ट व्‍यक्ति कए पुरस्‍कृत करबाक निर्णय लेल गेल। इ जानकारी विद्यापति पुरस्कार कोषक सदस्य सचिव श्याम सुन्दर शशी देलथि अछि। दू लाख टका क नेपाल विद्यापति मैथिली भाषा साहित्य पुरस्कार एहि साल मैथिलीक वरिष्ठ साहित्यकार डा. राजेन्द्र विमल कए देल जाएत। डा. विमल मैथिली, नेपाली, हिन्दी आ अंग्रेजी भाषा मे समान रुप स लिखैत छथि। तहिना एक लाख टका क नेपाल विद्यापति मैथिली कला संस्‍कृति पुरस्कार शहीद रंजू झा कए देबाक निर्णय लेल गेल अछि। एक लाख टका क नेपाल विद्यापति मैथिली अनुसंधान पुरस्कार डा. रामावतार यादव कए देबाक घोषणा भेल अछि। एक लाख टका क नेपाल विद्यापति मैथिली पाण्डुलिपी पुरस्कार साहित्यकार परमेश्वर कापडि कए आ एतबे राशिक नेपाल विद्यापति मैथिली अनुबाद पुरस्कार डा. रामदयाल राकेश कए देबाक घोषणा कैल गेल अछि। पुरस्कार लेल बनल चयन समिति मे प्राज्ञ रमेश रञ्जन झा, विष्‍णु कुमार मण्डल, मीणा ठाकुर, चन्द्रकिशोर झा आ श्याम सुन्दर शशि छलथि। नेपाल सरकार अक्‍टूबर मे एक करोड टका स विद्यापति पुरस्कार कोष क स्थापना केने छल। इ पुरस्कार एहि वेर स देब शुरू भ गेल अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. बहुत नीक समाद ।

    चयन समिति शहीद रञ्जूजी केँ नञि बिसरलाह सेहो बहुत नीक गप्प ।

Comments are closed.