वित्त रहित डिग्री कॉलेज कए भेटत 38 करोड़


पटना। वित्तरहित डिग्री महाविद्यालय कए अनुदान क रूप मे 38 करोड़ क राशि देल जाएत। मानव संसाधन विभाग क एहि संबंध मे प्रस्ताव कए वित्त विभाग अपन मंजूरी द देलक अछि। जे डिग्री कॉलेज क निरीक्षण काज पूरा कएल जा चुकल अछि आ जिनकर सब टा कागजात दुरूस्त पाएल गेल अछि, हुनकर इ राशि शीघ्र देल जाएत। वित्त रहित शिक्षण संस्थान कए छात्र-छात्रा क परफार्मेंस क आधार पर अनुदान देबाक फैसला क तहत पहिने 133 करोड़ टका राशि आवंटित केने अछि। चूंकि एहिन् राशि स केवल वित्तरहित विद्यालय आ इंटर कॉलेज कए अनुदान भेटल, एहि कारण डिग्री कॉलेज क लेल अलग स 38 करोड़ टका राशि देल जा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments