वित्त निगम क रूप मे विकसित होएत बुडको

1
10
esamaad maithili newspaper

पटना। बिहार शहरी आधारभूत संरचना विकास निगम(बुडको) कए बुनियादी ढांचा क निर्माण क संग-संग वित्तीय लेन-देन क अधिकार देबा लेल एकरा वित्त निगम क रूप मे विकसित करबा क फैसला लेल गेल अछि। एकरा बिहार अर्बन इंफ्रास्ट्रक्चर डेवलपमेंट एंड फाइनेंस कारपोरेशन (बुडएफको) क रूप मे बदलल जाएत। अगिला 20 साल मे बिहारक 139 शहरी निकाय क विकास लेल 56,489 करोड़ क आवश्यकता कए देखैत इ निर्णय लेल गेल अछि, जाहि पर कैबिनेट क मुहर लागब बाकी अछि।
बुडको बोर्ड क 15म बैसार में इ निर्णय सेहो लेल गेल अछि जे बुडएफको क अधीन कचरा प्रबंधन लेल एकटा शत प्रतिशत सहायक(सब्सिडियरी) कंपनी सेहो खोलल जाएत। एहि सबिसडियरी कंपनी क नाम ‘बिहार अर्बन सर्विस कारपारेशन’ रखबाक निर्णय लेल गेल अछि। कंपनी क शेयर पूंजी 5 लाख होएत जे 10 टकाक 50 हजार शेयर मे विभाजित कैल जाएत। हाल मे पटना नगर निगम ठोस कचरा प्रबंधन लेल बुडको कए एकटा स्पेशल पर्पस विहायकिल (एसपीवी) क माध्यम स काज करबाक जिम्मा सौंपलक अछि। बुडको क मानब अछि जे अन्य नगर निकाय स सेहो एहन प्रस्ताव भेट सकैत अछि।
केंद्रीय शहरी विकास मंत्रालय द्वारा गठित उच्चाधिकार सशक्त समिति अपन रिपोर्ट मे अनुमान लगेलक अछि जे देश मे स्थानीय शहरी निकाय मे आधारभूत क विकास लेल करीब 39,18,670 करोड़ क आवश्यकता होएत। बिहार मे 139 शहरी निकाय लेल अगिला 20 साल मे 56,489 करोड़ क पूंजीगत निवेश क जरूरत पडत। प्रदेश मे स्थानीय शहरी निकाय क वर्तमान आर्थिक स्थिति एहि निवेश कए एकमुश्त वहन करबा मे सक्षम नहि अछि। वित्त निगम क रूप मे बुडएफको निवेश क बाहरी स्त्रोत कए ताकत।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page

Comments are closed.