विज्ञापन एजेंसी क बाट तकैत अछि बिहार परिवहन निगम


पटना । बिहार राज्य सड़क परिवहन निगम अपन प्रचार-प्रसार आ निगम क बस आ बस स्टैंड पर विज्ञापन अनबा लेल ऐड एजेंसीक बाट ताकि रहल अछि। निगम एकरा लेल ‘टू पॉकेट सिस्टम’ क तहत विज्ञापन एजेंसी स निविदा आमंत्रित केने अछि। निविदा प्रक्रिया मे हिस्सा लेबा लेल अग्रिम जमानत राशि दस हजार टका तय अछि। इ निविदा दू वर्ग मे आमंत्रित अछि। पहिल विज्ञापन एजेंसी कए निगम क करीब चार सौ बस पर दू वर्ष लेल आ दोसर राज्य भर क 21टा बस स्टैंड पर तीन वर्ष क लेल विज्ञापन क व्यवस्था करब अछि।
निविदा प्रक्रिया मे हिस्घ्सा लेनिहार विज्ञापन एजेंसी क लेल किछु शर्त राखल गेल अछि। एहि एजेंसी क सालाना 50 लाख टका क कारोबार हेबाक चाही। निविदा क लेल आवेदन जमा करबाक अंतिम तारीख 13 अगस्त तय कैल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments