विक्रमशिला देख बौद्ध गुरु क नोरा गेल आंखि

भागलपुर । ऐतिहासिक विक्रमशिला विश्वविद्यालय क गरिमा वापस आनल जाएत। इ बयान कोनो नेताक नहि बल्कि विदेश स आयल बौद्ध गुरुक समूहक छी जे मंगलदिन एहि ऐतिहासिक जगह कए देखबा लेल पहुंचल छलाह। विश्वविद्यालयक अवशेष देखि समूहक कईटा सदस्यक आंखि नोरा गेल। सब एक मत स कहला जे एहि ऐतिहासिक धरोहर क दिन बहुरत। एकर शुरूआत आइ स भ गेल। कई सालक बाद विक्रमशिला स्तूप पर विशेष पूजा क आयोजन कैल गेल। बौद्ध गुरु क एहि समूह क महागुरु क देख रेख मे पूजा संपन्न भेल। एहि पूजा मे स्वीट्जरलैंड क मि. गेलेक सहित मनाली आ दिल्ली क बौद्ध गुरु शामिल छलाह, संगहि पैघ संख्या मे स्थानीय लोक सेहो शामिल भेला।
पूजाक बाद गेलेक कहला जे विक्रमशिला क विकास मे हर संभव सहयोग देबा लेल ओ तैयार छथि आ एहि संदर्भ मे ओ सांसद शाहनवाज हुसैन आ जिला पदाधिकारी राहुल सिंह स भेंट सेहो क चुकल छथि। ओ कहला जे सरकार अगर अनुमति दिए त प्राचीन विश्वविद्यालय क गरिमा कए फेर स बहाल करि एकरा पर्यटन स्थल क रूप मे विकसित करि कए एहि ठाम स्कूल, बौद्ध मंदिर आ अस्पताल खोलबाक इच्छा अछि। ओ कहला जे हुनकर इच्छा अछि जे एकरा एहि तरह विकसित कैल जाए जे एहि ठाम दुनिया क पर्यटक आबि कए एकरा देख सकए। ओ कहला जे सांसद एकरा लेल तैयार छथि आ ओ अपन दिस स हर संभव मदद क भरोस देलथि अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments