विक्रमशिला क तुलना नालंदा स करब ठीक नहि : मोदी

विक्रमशिला (भागलपुर) । उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कहला अछि जे सबटा ऐतिहासिक स्थल क अपन अलग-अलग महत्व होइत अछि। एहन मे नालंदा आ विक्रमशिला क तुलना ठीक नहि अछि। दूनू विवि आॅक्सफोर्ड बा कैम्ब्रिज स सात सौ साल पहिने अस्तित्व मे छल। मोदी आश्वासन देलथि जे आब एहन धरोहर क उपेक्षा नहि होएत। सरकार पर्यटन क विकास मे ध्यान द रहल अछि। एहि साल पर्यटन क बजट एक सौ करोड़ टका क अछि। मोदी कहला जे राज्य सरकार विक्रमशिला क विकास करत। पहिल चरण मे 8 करोड़ 14 लाख क डीपीआर तैयार भेल अछि। जाहि मे केंद्र स पांच करोड़ क मांग कैल गेल अछि। केंद्र स स्वीकृति क प्रत्याशा मे पर्यटन विभाग कए निर्देश देल गेल अछि जे अपन हिस्सा स काज प्रारंभ क देल जाए। मोदी इ गप ऐतिहासिक  विक्रमशिला महोत्सव क उद्घाटन केलाक बाद सभा कए संबोधित करैत कहलथि। मोदी कहला जे 9.79 एकड़ भूमि क अधिग्रहण क पर्यटन विकास निगम कए सुपुर्द क देल गेल अछि।
एहि मौका पर बिहारक घोषणामंत्री का स्थानीय विधायक अश्विनी कुमार चौबे घोषणा केलथि जे इ भूमि एक बेर फेर स ज्ञान क केंद्र बनत । ओ कहला जे बिहार सरकार तत्पर अछि। एहि ठाम पर्यटक कए सुविधा भेटत। अतिथिगृह बनाउल जाएत। उम्मीद कैल जाए जे घोषणा मंत्री क इ घोषणा हुनक छवि क विपरीत हुए आ विक्रमशिला अंतरराष्ट्रीय पर्यटन केंद्र क रूप मे विकसित भ सकए।
ओना विक्रमशिला तक अंतरराष्ट्रीय पर्यटक कए सीधा अनबा लेल भागलपुर एयरपोर्ट कए चालू करेबा मे लागल स्थानीय सांसद शाहनवाज हुसैन कहला जे एहि स्थान कए सेहो बुद्धिस्ट सर्किट मे शामिल कैल जाए। ओ कहला जे अगिला साल स विक्रमशिला महोत्सव जिला स्तर पर नहि बल्कि एहि मे देश कलोग भाग लेतथि। ओ डीएम कए सलाह देलथि जे एहन आयोजन गर्मी मे नहि कैल जाए।
इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments