विकास लेल दौड़त चैनपुर, अहां देब संग

सहरसा। सुतल आ सुस्त मैथिल समाज कए जगेबा लेल सहरसा क चैनपुर गाम दौडत। गाम क उन्नति, समृद्धि आ विकास लेल 13 नवंबर कए चैनपुर हाफमैराथन 2012क आयोजन कैल जा रहल अछि। भोर 9 बजे चैनपुर दौडत। संभवतः अपना आप मे इ पहिल आयोजन जे गाम मे गामक विकास लेल भ रहल अछि। देखाउंस त मिथिलाक समाज करैत आयल अछि, मुदा एहन देखाउंस समाज कए एकटा नव शक्ति देत आ नीक बाट पर ल जाएत। शहर मे मैराथन दौड होइत रहैत अछि। कईटा मैराथन मे हिस्सा लेनिहार सब एहि मे सेहो भाग लेबा लेल तैयार छथि। गाम मे भ रहल एहि पहिल हाफ मैराथन क आयोजन मे सब स पैघ गप अछि जे एकर आयोजन गामक युवावर्ग अपन संसाधन स केलथि अछि। एहि हाफ मैराथन कए कियो प्रायोजित नहि केलक अछि। निश्चित यप स विकास लेल एहि गाम क युवक क छटपटाहट एहि आयोजन स देखार भ रहल अछि। एहि आयोजन स मिथिला क गाम गाम मे एकटा संदेश जाएत, संगहि शहरी सभ्यता दिस जा रहल युवा कए गाम दिस देखबा लेल आग्रह कैल जा सकत।
आयोजकक कहब अछि जे एकर आयोजन जरूर एकटा छोट सन गाम मे भ रहल अछि मुदा प्रान्त क सब नर-नारी कए चैनपुर हाफ मैराथन यानि लम्बी दौर लेल आह्वान कैल जाइत अछि। आयोजनक पाछु उद्देश्‍य पर आयोजक कहला जे दुनिया भरि मे हाफ मैराथन क आयोगन मानवता क विकास, समृधि आ ओकर प्रचार-प्रसार लेल होइत अछि। एहन आयोजन सामाजिक परिवर्तन क पहिल डेग होइत अछि। हम सब सब स सामाजिक बदलाव मे योगदान मांगब। एहि योगदान क निर्वाहन एकटा हस्ताक्षर अभियान स पूरा कैल जा सकैत अछि। सरकारी सहयोग आ नीति स ऊपर उठि कए समाज क बुद्धिजीवी लोक हरदम अपन अधिकार मगलथि अछि। इ आयोजन आम लोक कए खास क गाम क लोक कए सामाजिक, आर्थिक, नैतिक आ भावनात्मक बोध रूपी माला मे पिरोबा लेल प्रेरित करत। आयोजक क कहब अछि जे इ पूर्णरूप स सामाजिक बदलाव लेल एकटा गामक पहल छी, एकरा विकास क सूचक मानि आ कोनो रूप मे रैली या आन्दोलन क स्‍वरूप नहि देल जाए।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments