विकास देखबा लेल विधायक जेताह विदेश

पटना। विदेश मे भ रहल विकास काज कए देखबाक विधायक क इच्छा पूरा भ सकैत अछि। विदेश भ्रमण क मुद्दा पर पक्ष-विपक्ष क सदस्य एकमत छथि, जखनकि संसदीय कार्य मंत्री क कहब अछि जे विधान परिषद आ विधान सभा स प्रस्ताव भेटला पर सरकार कए एहि पर कोनो आपत्ति नहि होएत। संसदीय कार्य मंत्री रामाश्रय प्रसाद सिंह आ सहकारिता मंत्री गिरिराज सिंह कहला जे विधायक कए विदेश भ्रमण पर पठेबाक मांग पर सरकार क रुख सकारात्मक अछि। मुदा एकरा लेल प्रस्ताव एबाक बाद सरकार कोनो डेग उठा सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments