विकास दर मे बिहार फेर महाराष्‍ट्र स आगू

बिहार क अनुमानित सकल राज्य घरेलू उत्पाद (जीएसडीपी) 21.9 फीसदी रहल, जखन कि 9 फीसदी संग झारखंड देश मे सबस पाछु
नई दिल्ली ।
आर्थिक विकास दर क मामला मे बिहार एक बेर फेर सब पर भारी पडल अछि। मार्च, 2012 मे समाप्त भेल 11म पंचवर्षीय योजना क दौरान आर्थिक वृद्घि क लिहाज स बिहार क प्रदर्शन सबस बेहतरीन रहल। राज्‍य क वित्तीय स्थिति पर योजना आयोग द्वारा जारी कैल गेल रिपोर्ट क मुताबिक बिहार स काफी छोट राज्य सिक्किम आ गोवा टा एहि मामला मे बिहार स आगू रहल। रिपोर्ट क मुताबिक 2007-12 क दौरान 11म पंचवर्षीय योजना क दौरान बिहार क अनुमानित सकल राज्य घरेलू उत्पाद (जीएसडीपी) 21.9 फीसदी रहल। महाराष्‍ट्र, आंध्र प्रदेश, गुजरात आ उत्तर प्रदेश सन पैघ राज्य सेहो एहि मामला मे बिहार कए टक्कर नहि द सकल। सब राज्‍य आ संघ शासित प्रदेश मे सिक्किम जीएसडीपी क लिहाज स सबस आगू रहल।
सिक्किम क जीएसडीपी विकास दर 31.6 फीसदी रहल। एकर बाद एहि सूची मे गोवा क स्थान अछि। 11म पंचवर्षीय योजना क दौरान गोवा क जीएसडीपी विकास दर 22.9 फीसदी रहल अछि। सबस खराब प्रदर्शन करनिहार राज्‍य मे झारखंड सबस ऊपर रहल। झारखंड क विकास दर 9.2 फीसदी रहल। झारखंड क बाद पुडुचेरी, नगालैंड आ मणिपुर सबस पाछु रहनिहार राज्‍य अछि। हिनकर सबहक विकास दर 11 फीसदी स कम रहल।
जहांधरि पैघ राज्‍य क गप अछि त हरियाणा क विकास दर 19.5 फीसदी रहल। राजस्थान योजनाकाल मे 18 फीसदी क दर स विकास केलक। केरल 16.9 फीसदी, मध्य प्रदेश 16.8 फीसदी, आंध्र प्रदेश 16.7 फीसदी आ पश्चिम बंगाल क विकास दर 16.4 फीसदी रहल। 11म पंचवर्षीय योजना क दौरान गुजरात क विकास दर 16 फीसदी रहल। जखनकि महाराष्‍ट्र आ उत्तर प्रदेश क विकास दर 15.3 फीसदी रहल।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments