विकास दर क आधार पर बिहार कए भेटए बैंक स मदद

पटना। रिजर्व बैंक क गवर्नर डी सुब्बा राव मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स हुनकर सचिवालय कक्ष मे भेंट केलथि। लगभग आठ सालक बाद आरबीआई क कोनो गवर्नर क इ बिहार यात्रा छी। आरबीआई क बोर्ड बैठक क सिलसिला मे डी सुब्बाराव बिहार आएल छथि। मुख्यमंत्री स मुलाकात क बाद ओ कहला जे बिहार कए एकर विकास दर क आधार पर बैंक स मदद भेटबाक चाही। बिहार क 11.3 फीसदी विकास दर क ओ सराहना केेलथि। मुख्यमंत्री बैठक मे बिहार क ओहि प्रखंड क मामला सेहो उठोलथि जतए एखनधरि बैंक क शाखा नहि अछि। भागलपुर क इस्माइलपुर, शेखपुरा क घाटकुसुंबा आ लखीसराय क पिपरिया प्रखंड एखनो बैंकविहीन अछि। सुब्बाराव एकरा गंभीरता स देखबाक आश्वासन देलथि। मुख्यमंत्री कहला जे डी सुब्बाराव क संग बैंक द्वारा ऋण उपलब्ध करेबा मे कोताही आ हुनकर व्यवहार पर विशेष रूप स चर्चा भेल। प्राथमिकता वाला क्षेत्र मे सेहो बैंक क रवैया संतोषजनक नहि अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments