विकास तखने होइत अछि जखन नीयत साफ हुए: सोनिया


पटना । कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया क कहब अछि जे कोनो क्षेत्र क विकास तखने भ सकैत अछि जखन विकास योजना कए लागू करनिहारक नीयत साफ हुए। ओ कहलीह जे आइ बिहार मे कईटा चीनी मिल बंद अछि, बिजली, सड़क क स्थिति दयनीय अछि। ताहि पर स भ्रष्टचार सेहो आसमान पर अछि। ओ कहलथि जे विपक्षी दल चुनाव क मतलब कुर्सी पेबाक बाट बुझैत छथि, मुदा कांग्रेस राजनीति क मतलब विकास बुझैत रहल अछि।
राहुल आ मनमोहन के बाद सोनिया सेहो सहायता राशि पर राज्य सरकार कए घेरबाक कोशिश केलथि। ओ कहलीह जे केन्द्र बिहार सरकार कए विकास क लेल जे धनराशि मुहैया करेलक ओकर सही इस्तेमाल नहि कैल गेल।
कांग्रेस अध्यक्ष नीतीश क संग-संग राष्ट्रीय जनता दल (राजद) क अध्यक्ष लालू प्रसाद पर सेहो निशाना सधलथि। ओ कहलथि जे राज्य मे बीतल किछु सालक दौरान विकास नहि भेल जेकर कारण एहि ठामक युवा शिक्षा आ रोजगार क तलाश मे पलायन करि रहल अछि।
सोनिया एहि अवसर पर अल्पसंख्यक मतदाता कए सेहो रिझेबाक कोशिश केलथि। ओ कहलथि जे केन्द्र सरकार किशनगंज मे अलीगढ़ मुस्लिम विश्वविद्यालय क शाखा खोलबा लेल सबटा औपचारिकता पूरा करि लेने अछि मुदा नीतीश सरकार एखन धरि जमीन नहि द सकल अछि।
ओ कहलथि जे किछु नेता इ बुझैत छथि जे बिहारक लोक क याददाश्त कमजोर अछि, मुदा ओ गलतफहमी मे छथि। अहां सब ओ दिन नहि बुसरल होएब जखन गुजरात मे अकलियत पर हमला भ रहल छल आ एहि ठामक नेता केन्द्र मे मंत्री छलाह, अपना कए धर्मनिरपेक्ष कहनिहार एहि नेता कए ओहि काल मे मंत्री पद स इस्तीफा नहि देल भेल।
ओ कहलथि जे धर्म आ जाति क नाम पर कांग्रेस कए कई बेर चुनाव मे हार भेल मुदा पार्टी कहियो धर्म आ जाति क नाम पर राजनीति करनिहार स समझौता नहि केलक आ ने भविष्य मे करत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments