विकास क बाट पर बिहार : कृष्णा

सिंगापुर । कांग्रेस महासचिव राहुल गांधी क बाद पार्टीक वरिष्ठ नेता आओर विदेश मंत्री एसएम कृष्णा सेहो मानलथि अछि जे बिहार विकासक बाट पर चलि चुकल अछि आ नीतीश कुमार नीक काज कए रहल छथि। कृष्णा सिंगापुर क दक्षिण पूर्व एशियाई अध्ययन संस्थान मे नालंदा विश्वविद्यालय विषय पर आयोजित व्याख्यान मे कहला, हमरा इ कहबा मे खुशी भ रहल अछि जे बिहार एक बेर फेर विकास क बाट चलि रहल अछि। आई बिहार क नेतृत्व लोक कए राह देखा रहल अछि। हम सौभाग्यशाली छी जे बिहार कए एहि दौड कए देखि रहल छी। ओ नीतीश क दूरदर्शिता आओर प्राचीन नालंदा विश्वविद्यालय कए पुनर्जीवित करबाक हुनकर प्रयास क खुली कए सराहना केलथि। जदयू नेता क तारीफ करैत कृष्णा कहला, नीतीश कुमार नालंदा विश्वविद्यालय क पैघ समर्थक छथि। हमरा विश्वास अछि जे बिहार मे नीतीश क नेतृत्व मे आओर केंद्र क समर्पण स जल्द नालंदा विश्वविद्यालय हकीकत मे बदलि जाएत। कृष्णा नालंदा विश्वविद्यालय क सलाहकार आ नोबेल पुरस्कार विजेता अम‌र्त्य सेन आओर सिंगापुर क विदेश मंत्री जॉर्ज येवो क सेहो सराहना केलथि। ओ कहला जे दूनू गोटे नालंदा कए अपन जीवन मे मिशन क तौर पर लेने छथि। गुरुदेव रवींद्र नाथ टैगोर क 150वीं सालगिरह पर कृष्णा हुनकर प्रतिमा क अनावरण सेहो केलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments