विकास क आधार अछि बिहार : जसवंत

jash
पटना। बीजेपी के निष्कासित नेता जसवंत सिंह कहला जे पूरा देश मे विकास कए लेल आंदोलन क शानदार प्लेटफॉर्म अछि आ बिहार राजनीतिक रूप से सेहो परिवर्तन क आधार तैयार करैत अछि। पटना मे आयोजित एक समारोह मे अपन किताब क उर्दू अनुवाद मे महात्मा गांधी आ जयप्रकाश नारायण क चर्चा करैत सिंह कहला जे भारतीय राजनीति मे ऐतिहासिक परिवर्तन कए लेल बिहार पुन: अग्रणी राज्य बनत। सिंह ऑल इंडिया यूनाईटेड मुस्लिम मोर्चा आ राज्य सभा क सांसद डॉ. एम एजाज अली क सेहो धन्यवाद देलथि, जे हुनकर किताब क उर्दू अनुवाद केलथि। एहि अवसर पर पूर्व केंद्रीय मंत्री आरिफ मोहम्मद खान कहला नेता कए देश क मजबूत बनवाक तरफ काज करवाक चाहि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments