विकासक गति मे बिहार फेर सबसे आगू

पटना । बिहार विकास क गति मे एकबेर फेर देशक आन राज्य कए पाछू छोडि सबस आगू भ गेल अछि। नीति आयोग क पहिल रिपोर्ट मे एहि तथ्य क जानकारी देल गेल अछि। विधानसभा चुनाव मे बिहार क विकास दर कए मुद्दा बनाकए भाजपा आ ओकर सहयोगी दल नीतीश सरकार कए घेरबाक पूरा कोशिश केलक। दावा केलक जे भाजपा कए सरकार स अलग भेलाक बाद बिहार क विकास क पहिया आगू बढ़बाक बदला मे पीछू घूमि रहल अछि, मुदा मोदी सरकार एकरा असत्य साबित क देलक अछि। नेशनल इंस्टीट्यूशन फॉर ट्रांसफॉर्मिंग इंडिया (नीति) आयोग स जारी हालिया रिपोर्ट मे बिहार कए देश मे सबस तेज गति स विकास कर रहल राज्य बताउल गेल अछि। नीति आयोग क रिपोर्ट क अनुसार वर्ष 2014-15 मे बिहार क विकास दर आन सब राज्य  से बेसी 17.6 प्रतिशत रहल। दोसर नंबर पर 16.8 फीसदी क संग मध्यप्रदेश रहल। अन्य राज्य क विकास दर त बिहार क आसपास तक नहि अछि । महाराष्ट्र और राजस्थान क विकास दर एहि अवधि मे क्रमश: 11.69 और 11 फीसदी रहल। वित्तीय वर्ष 2014-15 मे बिहार क जीडीपी 17.6 फीसदी बताउल गेल अछि । वर्ष 2004-05 मे बिहार क विकास दर मात्र 6.05 फीसदी छल। विकास दर क असर अछि जे ओहि समय बिहार क जीएसडीपी 77 हजार 781 करोड़ छल जे आइ बढिकए 04 लाख 02 हजार करोड़ पार क चुकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments