विकसित होएत कामेश्वर पार्क, दीवानी तकिया मे बनत स्‍टेडियम

उदय चटर्जी
दरभंगा।
कामेश्‍वर सिंह दरभंगा संस्‍कत विश्‍वविद्यालय क नव नियुक्‍त कुलपति डा. अरविंद कुमार पांडेय विश्‍वविद्यालय क कार्यप्रणालीक संग संग एकर रंग रूप सेहो बदलवा मे जुटि गेलाह अछि। कतेको साल स इ विश्वविद्यालय अपन अनियमितता आ अराजकता स गरिमा बचेबा लेल संघर्षरत छल आ बहुत हद तक अछि। ताहि कारण स एकर आधारभूत विकास ठमकल छल। पिछला किछु साल एहि विश्‍वविद्यालय कए घोटाला और पांडुलिपि क चोरी सन मामला घेर रखने छल, मुदा आब एकर समग्र विकास लेल प्रयास शुरू भ्‍ गेल अछि। नव कुलपति कार्यभार ग्रहण करबाक संगहि विवि परिसर सहित तमाम ठमकल आधारभूत योजना कए आगू बढेबाक काज शुरू करि देलथि अछि। एकरा लेल ओ एकटा उच्‍चस्‍तरीय बैठक सेहो केलथि। जाहि मे योजना स संबंधित सबटा पदाधिकारी उपस्थित छलाह। बैठक में कहल गेल जे देश मे बहुत कम एहन विवि परिसर अछि जेकर आधारभूत संरचना एतबा ठोस रूप मे मौजूद अछि, एकर बावजूद एकर समुचित विकास आ सही स देखभाल नहि भ रहल अछि। कुलपति निर्देश देलाह अछि जे सबस पहिने कामेश्वर पार्क को विकसित कैल जाए। एकर अलावा सेहो कईटा योजना पर काज शुरू करबा निर्णय लेल गेल। बैठक में तय भेल जे एहि वित्‍त वर्ष मे कासिंदंसवि मुख्यालय कए कारपोरेट जगत क भांति सुसज्जित कैल जाए। संपूर्ण परिसर क सुरक्षा सुनिश्चित करबा लेल सीसीटीवी कैमरा लगाउल जाए। एकरा संगहि स्वर्ण जयंती भवन, सभा भवन, परीक्षा भवन, पदाधिकारी आ स्टाफ आवास आ दूटा छात्रावास क निर्माण करबाक सेहो बाट साफ भेल। परिसर स्थित पोखरि क सौंदर्यीकरण योजना आ परीक्षा विभाग कए कंप्यूटरीकृत करबाक निर्णय सेहो लेल गेल। बैठकक बाद कुलपति कहला जे क्रमबद्ध विकास योजना कए शुरू कैल जा रहल अछि। ओ कहला जे 35 साल स लटकल परियोजना कए पूरा करबा लेल सेहो काज शुरू कैल जा रहल अछि जाहि तहत कटहलबाडी क दीवाने तकिया स्थित भूखंड पर इनडोर आउट डोर स्टेडियम बनत। एहि योजना मे एकटा आओर चीज जोडि देल गेल अछि जेकर बाद एहि भूखंड पर आब स्‍टेडियम क संगहि एकटा शापिंग काम्पलेक्स क निर्माण सेहो कैल जाएत। जाहि स भेल आमदनी स स्‍टेडिमक रख रखाव ठीक स भ सकत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.