विकसित बिहार क कामना क संग आईआरसी सम्मेलन संपन्न

पटना। चारि दिन स गांधी मैदान मे चलि रहल भारतीय रोड कांग्रेस क 70म अधिवेशन बिहार क विकास लेल राज्य सरकार कए सब तरहक मदद क आश्वासनक संग संपन्न भ गेल। अपन समापन भाषण मे आईआरसी क निवर्तमान अध्यक्ष डीबी देशपांडे कलथि जे ओ दिन दूर नहि जखन बीमारू राज्यक श्रेणी मे राखल गेल बिहार एकटा विकसित राज्य क रूप मे सामने आउत।
अपन गृह राज्य महाराष्ट्र क चर्चा करैत ओ कहला जे ओहि ठाम मात्र आठ फीसदी सड़क पर खर्च भ रहल अछि, जखन कि बिहार अपन बजटक 30 प्रतिशत खर्च सड़क निर्माण मे करि रहल अछि। ओ कहला जे ग्रामीण सड़क क मानक पहिने स निर्धारित छल आ यदि एहि मे संशोधन कएल जाए त आओर प्रभावी भ सकैत अछि। समापन स पूर्व 190 सदस्यीय परिषद अपन नव अध्यक्ष आ अन्य पदाधिकारी क संग-संग नव परिषद क सदस्य चुनलथि। मिजोरम क मुख्य अभियंता लियान सांगा कए डीबी देशपांडे क स्थान पर नव अध्यक्ष चुनल गेल जखन कि गुजरात क एमवी बलाला, मध्यप्रदेश क आनंद सैलो, बिहार क मुख्य अभियंता आरडी रामध्यान आ निजी क्षेत्र स संजय डबनिया कए उपाध्यक्ष चुनल गेल। आरपी इंदौरिया एक बेर फेर महासचिव चुनल गेला। 80 सदस्यीय नवका परिषद मे दू टा महिला सदस्य सेहो शामिल छथि। अगिला कांगे्रस क सम्मेलन अगिला साल भोपाल मे आयोजित होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें