वाहन चलायब सिखबाक अछि त सारण चलू

सारण मे 17 कए खुलत राष्ट्रीय भारी व्यावसायिक मोटर वाहन प्रशिक्षण केंद्र
पटना। केंद्रीय मंत्री राजीव प्रताप रूडी क पहल पर केंद्रीय कौशल विकास मंत्रालय आ केंद्रीय सड़क परिवहन आ राजमार्ग मंत्रालय क संयुक्त प्रयास स सारण क खैरा मे देशक पहिल राष्ट्रीय भारी व्यावसायिक मोटर वाहन प्रशिक्षण केंद्र खुलबाक तैयारी पूरा भ चुकल अछि।  केंद्रीय सड़क परिवहन आ राजमार्ग मंत्री नितिन गडकरी 17 अक्टूबर कए बिहार क सारण जिला मे राष्ट्रीय भारी व्यावसायिक मोटर वाहन प्रशिक्षण केंद्र क उद्घाटन करताह।
रूडी क कहब अछि जे एहि तकनीकी संस्थान स युवा कए हल्का आ भारी निजी आ वाणिज्यिक वाहन चालक क तौर पर प्रशिक्षित कैल जा सकत। इ संस्थान शत-प्रतिशत आवासीय होएत आ एहि मे प्रशिक्षणार्थि कए आधुनिक तकनीक स वाहन चालन प्रशिक्षण क संगहि सिम्यूलेटर्स, सेंसर्स समेत विशेषज्ञ दिस स दुर्घटना रहित ड्राइविंग क बारे में सेहो बताउल जाएत। एहि प्रशिक्षण केंद्र स बिहार क युवा कए काफी लाभ भेटत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments