वाणिज्य कर विभाग मे वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग सेवा शुरू

पटना । उपमुख्यमंत्री आ वाणिज्य कर मंत्री सुशील कुमार मोदी कहला अछि जे आब वाणिज्य कर विभाग मे कोनो काज मैनुअली नहि होएत। क्षेत्रीय कार्यालय स पठाउल जा रहल रिपोर्ट सेहो आब मैनुअली नहि आउत। अधिकारी कए बैसार लेल बेर -बेर पटना क चक्कर काटबा स सेहो मुक्ति भेट गेल अछि। श्री मोदी अपन कक्ष मे वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग सिस्टम कए शुभारंभ केलाक बाद इ गप कहलथि। ओ कहला जे अधिकारी अपन मानसिकता मे बदलाव आनथि। जखन सरकार नव-नव तकनीकी सुविधा उपलब्ध करा रहल अछि त जनता कए सेहो कार्यालय क चक्कर लगेबा स मुक्ति भेटबाक चाही पहिल जुलाई स अंतरराज्यीय व्यापार लेल फॉर्म सी कए ऑनलाइन कैल जा रहल अछि। एहि स टैक्स चोरी रोकबा मे विभाग कए मदद भेटत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments